मिथिलाक सौगात
तिलकोड़ा के पात
गाछी सँ तोड़ल गेल
तिलकोड़ा के पात
छतो पर लत्ता फरल
तिलकोड़ा के पात
पाहुन एला सासुर
सौस बेसन टबकेति
तेल भरल कड़ाही
सरहज तरुआ खुएति
एति बम्बई बाली कनिया
बिलैति नखरा देखैति
व्हाट इज दिस
व्हाट इज दिस
ननैद तरुआ पकेति
Pragya Mishra
